सामग्री पर जाएँ

मन की बात

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

मन की बात, आकाशवाणीसँ प्रसारित होमए वला एक कार्यक्रम छी जाहिमे भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी भारतक नागरिकसभकेँ सम्बोधन करैत छथि।[] ई कार्यक्रमक पहिल प्रसारण सन् २०१४ अक्टुबर ३ मे कएल गेल छल। सन् २०१५ जनवरीमे अमेरिकाक राष्ट्रपति बाराक ओबामा सेहो हुनका सङ्गहि कार्यक्रममे भाग लेनए छल आ भारतक जनतासभक पत्रसभक उत्तर सेहो देनए छल। सन् २०२३ अप्रैल ३० केर 'मन की बात' कऽ १००म् भाग प्रसारित भेल छल।

नयाँ दिल्लीमे भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी आ अमेरिकी राष्ट्रपति बराक ओबामाक 'मन की बात' केर विशेष एपिसोड

सन् २०२१ जुलाईमे राज्यसभामे सूचना आ प्रसारण मन्त्रीद्वारा देल गेल एक बयानक अनुसार, कार्यक्रमक मुख्य उद्देश्य 'दिन-प्रतिदिनक शासनक मुद्दापर नागरिकसभक सङ्ग सम्वाद स्थापित करनाए अछि'। ई कार्यक्रम भारतक 'पहिल नेत्रहीन समृद्ध रेडियो कार्यक्रम' छी।

मोदी अपन तेसर 'मन की बात' रेडियो कार्यक्रमक दौरान

पृष्ठभूमि

[सम्पादन करी]

प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी प्रत्येक मास अल इन्डिया रेडियो पर देशकेँ सम्बोधित करैत अछि। आधिकारिक रूपमे सन् २०१४ अक्टुबर ३ सँ शुरू भेल एहि कार्यक्रमक उद्देश्य प्रधानमन्त्रीक आवाज आ विचारकेँ भारतक आम जनता धरि पहुँचाबय केर अछि।[] ग्रामीण आ कम विकसित क्षेत्र तथा विशेष रूपसँ अलग-थलग क्षेत्रमे टेलिभिजन कनेक्सन एखन धरि भारतमे उपलब्ध नहि अछि तहि लेल रेडियो केर अप्पन व्यापक पहुँचक कारण ई कार्यक्रम केर जन माध्यमक रूपमे चुनल गेल छल। अनुमानित ९०% भारतीय जनसँख्या एहि माध्यमसँ पहुँचल जा सकैत अछि। दूरदर्शनक डायरेक्ट टु होम (डिटिएच) सेवा टेलिभिजन आ रेडियो च्यानल पर निःशुल्क डिस २० मिनट लम्बा एपिसोडक फिड प्रसारित करैत अछि।

पहिल 'मन की बात' कार्यक्रम सन् २०१४ अक्टुबर ३ केर विजयादशमीक अवसर पर प्रसारित कएल गेल छल। एकर बाद सन् २०१४ नवम्बर २ मे दोसर प्रसारण भेल छल।

'मन की बात'क पहिल पन्द्रह प्रसारणमे एकर वेबसाइट पर ६१,००० सँ अधिक विचार प्राप्त भेल छल तँ श्रोतासभद्वारा १.४३ लाख अडियो रिकर्डिङ प्राप्त भेल छल। प्रत्येक महिना, किछु चुनल कल प्रसारणक हिस्सा बनैत अछि। सन् २०१७ जुन २ सँ 'मन की बात' क्षेत्रीय बोलीसभमे सेहो उपलब्ध भेल छल। एकर उद्देश्य अछि जतय धरि सम्भव भऽ सकए कार्यक्रमक पहुँचक विस्तार करब। कार्यक्रमक ५०म एपिसोड सन् २०१८ नवम्बर २५ केँ अल इन्डिया रेडियो पर प्रसारित कएल गेल छल।

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "भारत के प्रधानमंत्री"Prime Minister of India (हिन्दीमे)। 1 January 1980। अन्तिम पहुँच 4 November 2023
  2. "Mann ki Baat Live Updates: Youths can play active role in nation-building projects through MYBharat, PM Modi says in Mann ki Baat"The Times of India। 29 October 2023। अन्तिम पहुँच 4 November 2023

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]
pFad - Phonifier reborn

Pfad - The Proxy pFad of © 2024 Garber Painting. All rights reserved.

Note: This service is not intended for secure transactions such as banking, social media, email, or purchasing. Use at your own risk. We assume no liability whatsoever for broken pages.


Alternative Proxies:

Alternative Proxy

pFad Proxy

pFad v3 Proxy

pFad v4 Proxy